भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
दुर-दुर छीया ए छीया, एहन बौराहा बर संग जयती कोना धीया / मैथिली लोकगीत
Kavita Kosh से
मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
दुर-दुर छीया ए छीया, एहन बौराहा बर संग जयती कोना धीया
पाँच मुख बीच शोभनि तीन अंखिया, सह सह नचै छनि साँप सखिया
दुर-दुर छीया ए छीया...
काँख तर झोरी शोभनि, धथूर के बीया,
दिगम्बर के रूप दखि साले मैना के हीया
दुर-दुर छीया ए छीया...
जँ धीया के विष देथिन पिआ, कोहबर मे मरती धीया
भनहि विद्यापति सुनू धीया के माय, बैसले ठाम गौरी के गुजरिया
दुर-दुर छीया ए छीया...